प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक
वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly ejournal विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू। Always refresh the pages for viewing new issue of VIDEHA.

अंक ३९२ पर टिप्पणी

प्रणव झा
आदरणीय संपादकमण्डल, विदेहक ३९२म अंक पढ़ल। ग्रुप कैप्ट (डा.) वि एन झा क "अंतरिक्ष पर्यटन के वैज्ञानिक दृष्टिकोण" सन विषय पर मैथिली मे लेख देख प्रसन्नत भेल। ऐ तरहक विषय पर विशेषज्ञ द्वारा प्रामाणिक मैथिली लेख केर लेल डा० झा आ विदेह दुनु बधाई के पात्र छैथ। प्रमोद झा 'गोकुल' के लघुकथा लिकलिक वर्तमान मे परीक्षा के पर्चा लीक के मामला आ ओकर गरीब आ सीमित साधन बला छात्र सब पर परय बला दुष्प्रभाव के गंभीरता के संजीदगी से उठाबै अछि। अजित कुमार झा क 'विकास समिति' वर्तमान परिप्रेक्ष्य मे शहर, कस्बा सब मे विकसित होइत कालोनी के विकासगाथा आ ओई संगे मानव समाज के बदलईत मिजाज के चित्रण क्रबाक निक प्रयास रहल। प्रो दमन कुमार झा क 'नेपालमे मैथिली नाटकक विकास आ परिणाम' जानकारिपूर्ण लेख। कुल मिला के अंक मे छपल रचना सब खूब विविधता नेने रहल, विषयवस्तु आ लेखन शैली दुनु रूप मे। सादर।
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।