VIDEHA ISSN 2229-547X  ·  First Maithili Fortnightly eJournal  ·  Since 2000  ·  www.videha.co.in
विदेह — प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका
Twitter / X Facebook Archive

विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह

Videha

प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका — First Maithili Fortnightly eJournal

विदेह नूतन अंक
वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly ejournal विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू। Always refresh the pages for viewing new issue of VIDEHA.


प्रीति कुमारी

चुनाव आयोग आ राष्ट्रीय दल / हरि बाबू केँ  ८०म् वर्षगांठ 'क हार्दिक शुभकामना

चुनाव आयोग आ राष्ट्रीय दल

भारतीय संविधान अनुसारे कानून'क संचालन लेल अनेकों स्वतंत्र संस्था सभके प्रावधान कयल गेल छैक,जे देश'क शासन व्यवस्थामे अपन महत्वपूर्ण योगदान दैत छैक। भारतीय संविधानमे अनुच्छेद ३२४ केर मातहत राष्ट्रपति - उपराष्ट्रपति, लोकसभा आ विधानसभा लेल स्वतंत्र ओ निष्पक्ष चुनाव प्रक्रिया'क व्यवस्था लेल निर्वाचन आयोग केर प्रावधान कयल गेलैक। महामहिम राष्ट्रपति (श्रीमती द्रौपदी मुर्मु)जी द्वारा मुख्य चुनाव आयुक्त (ज्ञानेश कुमार) आ दू आरो चुनाव आयुक्त (क्रमश: डॉ० सुखबीर सिंह संधू आओर डॉ० विवेश जोशी) केर नियुक्ति कयल जाईछ। बिहार प्रांतमे मुख्य निर्वाचन अधिकारी (श्री विनोद सिंह गुंजियाल,आई ए एस.)- पटना पदधारी अछि। मुख्य चुनाव आयुक्त एवं अन्य चुनाव आयुक्तक' वेतन भारतके संचित निधि सँ देल जाइत छैक। मुख्य चुनाव आयुक्त आ अन्य चुनाव आयुक्तक' कार्यकाल पद सम्हारिते तिथि सँ ६ शाल धरि ओ ६५ सालक वयस होइत धरि लेल छै। मुख्य चुनाव आयुक्त आ आन चुनाव आयुक्त केर कार्यकाल सँ पहिले कदाचारके आधार पर संसदके दूनू सदन द्वारा पारित विशेष बहुमत सँ प्रस्ताव पारित कय हटाओल जा सकैछ।
कार्य आ क्षेत्राधिकार -:
भारतमे निर्वाचन आयोग केँ राष्ट्रपति, उपराष्ट्रपति लोकसभा - राज्य सभा आ विधानसभा - विधान परिषद'क लेल निष्पक्ष निर्वाचन संचालन करय लेल शक्ति भेटल छै। चुनाव क्षेत्रक सीमांकन/परिसीमन करबाक रहैछ,जे १० साल पर होमय वाला लोकगणना केर अनुसारे २० साल पर होईछ। राष्ट्रीय आ क्षेत्रीय राजनीतिक दलक मान्यता प्रदान करक होइत छैक। राजनीतिक दल सबकेँ विशेष प्रतीक आवंटन (चुनाव -चिन्ह ) प्रदान केनाई आ मतदाता सूची अद्यतन निर्माण करबाक होईछ। चुनावक व्यवस्था (अधिसूचना जारी) करनाई , चुनाव रद्द करनाई आ मध्यावधि उप चुनाव करौनाईक काज छै। राजनीतिक दल/ पार्टी सब लेल आदर्श आचार संहिता तैयार करैत, कर्मी आ वोटर केँ प्रशिक्षण देनाई सेहो मुख्य काज थीक। चुनाव याचिका पर सरकार केँ आवश्यक परामर्श देबाक रहैत छैक। मत पत्र (बैलैट) केर जगह इलेक्ट्रिक ईवीएम मशीन सँ बुथ पर मतदान काज पहिल खेप १९९८ ई०मे राजस्थान, मध्यप्रदेश आ दिल्ली राज्य केर किछ विधानसभा क्षेत्र 'क प्रयोग रूपेँ कयल गेलैक। गोवा मेँ सम्पूर्ण क्षेत्रमे वोटींग मशीन सँ सम्पन्न भेलैक। सन् २००४ मे संसदीय क्षेत्र सौंसे देशभरिमे ईवीएम सँ मतदान भेलैक ।
विधानसभा चुनाव म हरेक प्रत्याशी ४० लाख टका खर्चा व्यय विवरणी देखा सकैत छै। मुदा लोकसभा चुनाव केर अभ्यर्थी लेल २०१४ ई० क' अधिसूचना अनुसारे चुनाव खर्च ४० लाख सँ बढ़ाकय ७० लाख टाका कयल गेलैक। से २०२२ ई० सँ बढ़ल खर्च सीमा अध्यावधि ९५ लाख टाका निर्धारण कयल गेल छै। स्टार प्रचारक आ हेलीकॉप्टर सँ चुनाव प्रचार केँ अभ्यर्थी व्यय- लेखा विवरणीमे संधारणीय काज छै। आदर्श आचार संहिताक उल्लंघनमे नगद टाका या लोभ बाला विडियोग्राफी प्रमाणित भेलासन्ता चुनाव पर्यवेक्षक केर टिप्पणी पर मुकदमा ,बिनु परमिशन के वाहन आ डीजे - ध्वनि विस्तारक यंत्र (मैक-हार्न) समय सीमा उल्लंघन पर वाद दायर होईछ।
ईवीएम. मशीनमे आखरी उम्मीदवार केर नीचा नोटा रहैछ,जे नापसंदगी जाहीर करबाक एक विकल्प नागरिक लेल रहैछ। 'द पीपल यूनियन फॉर सिविल लिबर्टीज ' नामक एक गैर सरकारी संगठन दिशसँ दायर एक जनहित याचिका पर सुनवाई उच्चतम न्यायालय द्वारा भेलाक वाद फैसला सँ मतदाता केँ ई अधिकार भेटलनि ,जौं स्वच्छ आ ईमानदार छवि बाला प्रत्याशी नहिं रहने अपना विवेक सँ नोटा केर प्रयोग करैत मतदाता मोन क' आ अन्तर आत्माक संकेत पाबि वोट खसा सकैत अछि। परंच मतदान अवश्य निर्भिक भऽ कयल जाएबाक चाही। वर्ष २००९ मे सुप्रीम कोर्ट निर्वाचन आयोग द्वारा मुद्दा पर विचारार्थ गुजारीश कयलापर २०१३ ई० म नोटा० केँ मान्यता भेटल रहय। आनों तरहक समय - समय पर निर्वाचन परिशोधन ले समिति गठित भेल जे अपन शिफारिश कयलनि अछि -:
१९७४ म २१ वर्ष सँ घटाकय मतदाता केर आयु १८ वर्ष करबाक लेल वी एम तारकुंडे क'अध्यक्षतामे समिति बनल रहय। सन् १९८१ ई० म मतदाता कें परिचय -पत्र होय , ताहि लेल श्यामलाल शकधर केर अध्यक्षतामे समिति गठन भेल रहय जे १९९५ मे टी.एन शेषन जी वोटर कार्ड बनाके नागरिकक हाथमे दैत ,जै - जै कयलनि। शासकीय सेवा सँ निवृत्ति पाबि ओ राजनीति करय लेल शिव सेना क' संग लागि गेलाह। १९८३ मे राजस्थान मे न्यूनतम शैक्षिक योग्यता अनिवार्य लेल के.सन्थानम बाली अध्यक्षतामे एक समिति गठित भेल छल। १९८९ मे दिनेश गोस्वामी समिति , ईवीएम केर प्रयोग आरक्षणके लेल चक्रानुक्रम पद्धति लागू करबा पर अरल रहल। १९९२ मे टी एन शेषन समिति ,एक सँ अधिक क्षेत्र सँ चुनाव लड़बाक मनाही पर अमल करबा पर जोर लगेलक। १९९८ मे इन्द्रजीत गुप्त समिति चुनाव खर्चा लेल सार्वजनिक कोष निर्माण पर पुरजोर माँग रखलनि।
राष्ट्रीय दलक मान्यता प्राप्त करय ले आवश्यक शर्त एहि तरहेँ छैक-:
लोकसभा चुनाव वा विधानसभा चुनावमे कोनू चारि राज्य आ बेसियो राज्यमे कुल खसल वोटक ६./. वोटक आंकड़ा पूराएब आवश्यक छै। तकर वादो कोनू एक राज़ मे कमतीमे चारि सीट जीतनाई आवश्यक छै। लोकसभा मे २ प्रतिशत सीट होय से कम सं कम तीन राज्य सँ पुरय। ओहि दल केँ चारि राज्यमे राज्य स्तरीय मान्यता प्राप्त भेल होय। भारत देशमे चुनाव ले जन प्रतिनिधित्व अधिनियम १९५१ केर प्रयोग कयल जाइए।
भारतवर्ष मे राष्ट्रीय दल आ चुनाव चिन्ह
१. भारतीय जनता पार्टी - कमल फूल
२. भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेस - हाथक पंजा
३. मार्क्सवादी साम्यवादी दल - हाँसु हथौरा तारा
४. बहुजन समाज पार्टी - हाथी
५. आम आदमी पार्टी - झाड़ू
६. नेशनल पीपुल्स पार्टी - पुस्तक
नोट-: २०१९ ई० के आमचुनाव म V.V.P.A.T केर प्रयोग सब मतदान केंद्र पर भेल छलैक।

 

हरि बाबू केँ  ८०म् वर्षगांठ 'क हार्दिक शुभकामना


दि० ५ - ५ - २०२६ ई० क' सुयोग्य पिताक सुपात्र पुत्रक ८१म् जन्मदिन श्री हरि बाबू केँ बहुत - बहुत बधाय होय! मधुबनी जिलाक घोघरडीहा प्रखंड अन्तर्गत एकटा एहेन चर्चित सरौती गाम जे कोसी तटबंधक बीच रहैत एक केवट (केउट) परिवारक सामाजिक प्रतिष्ठा उच्च कोटिक रहल अछि। खुशी बाबू आ हजारी बाबू केँ जोड़ा हाथी आ जोड़ा ट्रेक्टर ७० केर दशकमे रहनि ,तँ नागे बाबू लग शिकारी घोड़ा सँ तीनू बन्दूक सँ चापी - जंगलमे शिकार कयल जाईन। पुरान दरभंगा जिला परिषदके तत्कालीन उपाध्यक्ष स्व० खुशी लाल बाबू अपना घर सँ पूभर मिडिल स्कूल लेल नीजी भूमि दान कयलनि। आ भुदानमे सेहो संत विनोबा भावे जीकेँ जमीन दान कयने रहथि। हुनक परियास सँ हाईस्कूलमे मिलकय तीनू भाय जमीन दान दैत संस्था कोसी पिड़ित रहबासी जनकेँ १९७८ ई० मेँ जनसुलभ कयलन्हि। ओ कांग्रेस के गाय बछरु छाप सँ फुलप्राश क्षेत्रक विधानसभा सँ १९७२ मे चुनाव लड़ल रहथि। हुनक छोट भाय नागेश्वर बाबू गर्ल्स हाई स्कूल आ इन्टर आर्ट - साइंस कॉलेज गाममे खोललनि । हेल्थ इन्स्पेक्टर आ वादमे शाखा डाकघर केर पोस्ट मास्टर भेलाह। ओ कोसी क्षेत्रमे शिक्षाक अलख जगाबैत १९९० केर दशकमे निर्दलीय विधायक पद'क हाथी छाप सँ चुनावमे ठाढ़ भेल रहथि। हुनक आकस्मिक निधन हमरा गाममे (नौआबाखर) भेल रहनि। हुनक छोट पुत्र शम्भू नाथ जी पंचायतके मुखिया निर्वाचित भेल रहथि संगहि पुत्र वधू डिम्पल कुमारी सेहो मुखिया पद केँ शुसोभित करने रहथिन। खुशी लाल बाबूक मझिला भाय हजारी बाबू परिवार सँ पहिल मुखिया बनल रहथि,जिनक जेष्ठ पुत्र राज कुमार बाबू २९ शालधरि दू टर्म मुखिया बनल रहलाह। से ओ उगैत सूरज छाप सँ निर्दलीय प्रत्याशी फुलपरास विधानसभा क्षेत्र 'क भेल रहथि। ओ निघमा - सरौती नामे पंचायतक नामकरण संशोधित करबौने छलाह। हरिनाथ बाबु 'क पिताजीक यशोकृति ऐ दुर्गम कोसी प्रक्षेत्रमे चहुं दिस पसरल छन्हि। कयल गेल अनेकों काजक उपलव्धि नवका लोक पढ़ि कहियो बिसरत नहिं । ताहि हुनक छुटल कार्यके हुनक एकमात्र श्रवन पुत्र पूरा करबाक लेल आगु अयलाह अछि। हुनक चौथापनमे ६ बेडके अतिरिक्त प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र घरक पूभर अपना गाममे सरकारी स्तर सँ बनय ,ताहि लेल एक एकड़ जमीन बेसाहिकऽ भूदाता बनि बजाप्ता भूमि निवंधन कयलाह। दिनाँक २-४-१९९० ई० केँ दान पत्र सँ० ३६३२ एक एकड़ सँ बेशिये सड़क कातके जमीन ,जाहिमे एखन होस्पीटलके भव्य मकान बनलैक अछि। हरि बाबू अपन बाबूजीक तरहेँ कोनू यात्रा करय सँ पूर्व पंचांग देखैत छथि । कोनू शुभ काजक निमित्त पोथी - पतरानुसारे सोइच -विचारिके चलैत छथि। वार्षिक फल ,आ पंचक (भदवा) नक्षत्र - मौसम ,ऋतु परेखैमे तत्पर सदैव रहैत छथि। भविष्यक जनतब लेल वाराणसी सँ सबसाल चिन्ताहरण पोथी किनैत आयल छथि। अपन पैतृक गामक पूर्वक अनेकों घटना ( जन्म - मरन) तीथ वरखी सुखश्राध दियादि भरिक ओहि पतरा पर टिप० लेल करैत छथि। कोनू पुरान पत्र - पत्रिका, पोथी आदि कियो गोटे जुबताए कें राखथि वा नहिं,मुदा हिनक खुबी छन्हि जे ई ओरियाकेँ राखनहिटा रहता। इयह खासियत सँ ई बहुचर्चित व्यक्तित्वमे गनाईत छथि। शुक्ल पक्ष , कृष्ण पक्ष ,राशी अनुसारे दिशासुल ओ राहू काल आदि जनैत एक पंडित सन् ज्ञानी पुरुष अपना गाम समाजमे कहबैत मान्यजन छथि। जाहि वंशवृक्ष - कुर्सीनामा नेवालाल कामत पेसर लक्ष्मण कामत सँ सात पिढि उपरके पाठक लेल द्रष्टव्य अछि,ओहि बंशक हालधरिके रेखाचित्र अवलोकन कऽ सकैत छी। नीचा पाँच पिढ़िधरि सम्पूर्ण पारिवारिक बंशाबली वैवाहिक गाम सहित ऐ तरहेँ रहल छन्हि -: नेवालाल बाबुक मातृक मैनही गाम आ तीन विवाह भेल छलन्हि। बेला पंचगछियाके ठकनी देवी ,छरापट्टीक असेसरि देवी आ बथनाहाके राजाबती देवी सँ। हुनक जेष्ठ पुत्र खुशी लाल बाबुक वियाह मुसहरनियां गामक घुरनी देवी सं भेल रहनि । जाहिमे ५ पुत्री आ १ पुत्र भेलनि।उजान- लालपुर म दु बहिन वियाहल गेल रहनि, क्रमशः कालेन्द्री देवी आ इन्द्रकला देवी। चन्द्र कला देवीके वियाह बसुली गाममे भेलनि। त्रिवेणी देवी क' वियाह गरबा गाममे भेलनि। पुत्र हरि नाथ बाबू क' वियाह सुड़ियाहीक सीता देवी सँ भेलनि। सुशीला देवी क' वियाह परसा गाममे भेलनि। हरिवाबुकेँ एक पुत्री आ चारि पुत्र छन्हि ,यथा-: प्रमीला देवीक वियाह अधिवक्ता श्री अरुण भंडारी जीके संग झंझारपुर गाममे (नगर पंचायत) भेलनि। प्रमोद जीके वियाह मोकरई गाममे पुनम देवी सँ भेल छन्हि। बिनोद जीके वियाह पोखराम गामक नीरू देवीके संग भेलनि । रमेंद्र कुमार जीके वियाह रसियारी गामक आशा देवी सँ भेल छन्हि। विरेन्द्र कुमार जीके वियाह मैनही डीह टोलके श्री धनेश्वर बाबूक बेटी किरण देवी सँ भेल छन्हि। हजारी बाबू क' दू बियाह क्रमशः मधेपुर (भलनी) क' बसुन्धरा देवी आ ताजपुर (रतुपार) केर रामेश्वरी देवीक' संग भेल रहनि। बियाही पक्षमे एक पुत्र आ दू पुत्री भेलनि। पुत्र राजकुमार बाबु 'क वियाह सुड़ियाही'क सरस्वती देवी सँ भेल रहनि। पान कुमारीक' वियाह परसा गाममे आ मंदाकिनी देवीक' वियाह बसुली गाममे भेलनि। काशी बाबुक विवाह बथनाहा गाममे आ श्याम देवीक वियाह शाहपुर गाममे भेलनि। कृष्णकांत जीक बियाह अलोला गाममे भेलनि। राजकुमार बाबूकेँ दू पुत्र आ तीन पुत्री भेलनि , जेकि बैजन्ती देवीक वियाह झंझारपुर आ मनोज कुमार जीक वियाह परसा गाममे भेलनि। जयमाला देवीक वियाह जमुआरी आ प्रेमलता कुमारी'क वियाह पदमपुर गाममे आ मनी कामत जीके वियाह कछुआ मेँ भेल छन्हि। काशी बाबूक' वियाह जव्दि बथनाहामे भेल रहनि। हुनका तीन पुत्र आ दू पुत्री क्रमशः पारसनाथ जीके वियाह विराटनगर,हेमलता देवीक - राज सोनवर्षा , संजीव कुमार जीके वियाह शाहपुर, छोटकी बेटी (शिक्षिका) रेणु'क नेहरा आ चन्द्रिका जीके वियाह - मैनही गाममे भेल छनि। कृष्णकांत बाबूक वियाह अलोला गाममे बाबुनन्न कामत जीक सुपुत्री सँ भेल छन्हि। हुनका एक पुत्री इन्दू जे हरड़ीक जयप्रकाश शर्मा जीके संग वियाह भेल छन्हि। आ तीन पुत्र क्रमशः संतोष कुमार केर शुभ विवाह शाहपुर गाममे, मुन्द्रीका जीके वियाह बसुली गाममे आ अम्बेश कुमार 'क वियाह राजौरा गाममे भेल छन्हि।
नेवालाल बाबूक पुत्री रामेश्वरी देवीके वियाह चन्द्रशयनपुर गाममे भेल छन्हि। नागेश्वर बाबूक प्रथम पत्नी सड़ियाहीक सरस्वती देवी सँ दू पुत्र आ एक पुत्री छन्हि। रामनारायण जीके वियाह झिटकी गाममे तारा देवी क' संग भेलनि, जाहि सँ एक पुत्र बासुकी , जिनक वियाह नवटोली परसामे भेल रहनि। बासुकीनाथ कें ४ गोट बहिन ससुरवास छथिन। क्रमशः रागनी- कदमाहा, कामनी- धोनहा, किरण- हैदरपुर आ छोटकी - कमलपुर। रामबाबूक बहिन सुनैना देवीके वियाह छरापट्टी गाममे भेल छन्हि। तुलसी कान्त जीक विवाह करौन्हा गाममे भेल छन्हि। तुलसी बाबुक बेमातरभाय शंभूनाथ जीक माय शकुंतला देवीक नैहर मूल गाम जयदेव पट्टी आ हाल - हरड़ी छन्हि। शंभू जीके विवाह सोनबरसा गामक डिम्पल कुमारी सँ भेलनि अछि। शंभू जीके सहोदर दू बहिन यथा-: सुलोचना कुमारी- चौड़ा महरैल आ चन्दा कुमारी - सुड़ियाही गाममे विवाहित छथिन। एतेक पैघ परिवारमे श्री हरिबाबू सबसँ जेष्ठ; थेहगर भैयारीमे छथि। हिनका सँ जेष्ठ दियादि भरिमे एक पित्ती श्री मार्कण्डेय बाबू बांचल छथि। जन्मदिन पर शतायु हेबाक मंगल कामना सतत अछि।


- प्रीति कुमारी, बी.ए., बीएड.

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।