मुख्य सामग्रीपर जाउ · Skip to main content
VIDEHA ISSN 2229-547X  ·  First Maithili Fortnightly eJournal  ·  Since 2000  ·  www.videha.co.in
विदेह — प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका
Twitter / X Facebook Archive
विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक
विदेह ई पत्रिकाक नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू: [Windows / Linux: Ctrl + F5 / Ctrl + Shift + R  ·  macOS: Command (Cmd) + Option + E + F5 / hold Shift + Click the Refresh button]

संतोष कुमार राय 'बटोही'
जंतर- मंतर


जे चुप छथि
ओ मरि गेल छथि
डरपोक मानल जेताह
सत्ताक केर अन्याय,
दमन, शोषण आओर मनमानी केँ
सहनिहार जनता इतिहास हंता कहल जेताह ।

सत्ता मे छी
तैं अहाँ अमर छी से नहि बुझियौ
मनुक्ख अमृत नहि पीने अछि
अहं खतम एक दिन होयत
औंघेला सँ आब नहि होयत
सब मिलि 'जन-मन-गण' गाउ ।

कतेक दिन धरि मुँह मे जाबी लागल रहतै ?
साँस कतेक दिन धरि रोकने रहबै ?
आब दम घुटि रहल अछि अहाँक
हाथ-पर-हाथ धरने नहि होयत
क्रांति करय पड़त आब
हिटलर केँ अपदस्थ करय पड़तै ।

बाढ़ि मे घर भसिया गेलै
महँगाई सँ माय दवाई बेगैर मरि गेलै
टाकाक बिना पढ़ैवाला घर बैठल छै
न्याय लेल बाबा दर-दर भटैक रहल छै
सभ दफ्तर मे सुरसा बैठल अछि
सभ योजना चुल्ही मे जरि गेलै ।

पेपर लीक !
शिक्षा के दफ्तर मे घुन लगलै
मंतरी-संतरी भेलै डकैत
भाई-भतीजावाद पुख्ता भेलै
मेहनतिया सभ बगुला जकाँ तकैत रहि गेलै
'सीट' तँ पहिनहि बिका गेलै ।


हुंकार भरि रहल अछि जवनका सभ
जंतर-मंतर बनल छै आखाड़ा
सुदि-मुरक सभ हिसाब हेतै
अई बेर नहि मानतै जनता
पै-पै केर जोड़-घटाव हेबे करतै
सत्ता अई बेर हिलबे करतै ।

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।

साहित्य अकादेमीक संकीर्ण मैथिली भाषा विभागसँ विदेह (मैथिली साहित्यक समानान्तर मंच) ऐ अर्थमे सेहो फराक अछि जे विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिका सन सहभाषाकेँ संग लऽ कऽ मिथिलाक बोली-वैविध्यक समग्र चित्र देल जाइत अछि। विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाक भाषा विज्ञान, रचना आ व्याकरण मैथिलीक संग देल गेल अछि मैथिलीक एकटा समानान्तर व्याकरण, रचना आ भाषा विज्ञान (ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाकेँ संग लऽ कऽ)- गजेन्द्र ठाकुर, संगे विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाक साहित्य ई-प्रकाशित आ समीक्षित सेहो होइत अछि।– गजेन्द्र ठाकुर, सम्पादक, विदेह ISSN 2229-547X
⇧
नव विदेह अंक — मासमे दू बेर · New Videha Issue — twice monthly  ·  ई-पत्र सदस्यता · Email subscription  ·  RSS feed  ·  DOI · Zenodo · Scholarly Preservation