२.एहिठाम प्रस्तुत अछि शिवशंकर श्रीनिवासजी केर संक्षिप्त परिचय
चित्र- 1
नाम : शिवशंकर श्रीनिवास
मूल नाम : शिवशंकर झा
जन्म तिथि : 02 जुलाई 1953 (प्रमाणपत्रक हिसाबें)
माता : स्व. जया देवी
पिता : स्व. बदरीनाथ झा
बाबा : स्व. विद्यानाथ झा
दाइ : स्व. रामप्यारी देवी
स्थान : लोहना (मधुबनी)
शिक्षा : एम.ए , पी.एच.डी
वृत्ति: व्याख्याता, मैथिली
शिवशंकर श्रीनिवास केर परिवारक अन्य सदस्य :
पत्नी :
वसुन्धरा देवी
(लेखकीय नाम- मीना मधु)
संतान : पुत्र- आशीष कुमार झा एवं आशुतोष कुमार झा, पुत्री- सोनी झा एवं
श्वेता मिश्र
नोट- शिवशंकर श्रीनिवासजीक वास्तविक जन्मतथि 13 सितंबर 1953 छनि मुदा
प्रमाण पत्रपर 02 जुलाई 1953 संगहि श्रीनिवासजी मानैत छथि जे ओ अपन दाइ
स्व. रामप्यारी देवीसँ कथा रचब सिखलनि।
प्रकाशित पोथी-
(1) त्रिकोण (सहयोगी कथा–संग्रह) -1986ई.
(2)अदहन (कथा–संग्रह) -1991ई.
(3) गामक लोक (कथा–संग्रह) –2005 ई.
(4) गुण-कथा (कथा–संग्रह) - 2014 ई.
(5) माटि (कथा संग्रह) -2021 ई.
(6) बदलैत स्वर (समालोचना) –2011 ई.
(7)
मैथिली उपन्यासक आलोचना -2021 ई.
(8) विश्लेषण (मैथिली आलोचना ओ संस्मरण) - 2022 ई.
चयनित कथा-शिवशंकर श्रीनिवास (हिनक प्रतिनिधि कथाक
संकलन उज्जवल झाक संपादनमे प्रकाशित भेल)
संपादित पोथी -
(1) परिचय शतक (मधुपजीक एक सय कविताक संकलन)-1988 ई.
(2) कथा किरण (कांचीनाथ झा ‘किरण’क कथा संग्रह) -1988ई.
(3) कतेक दिन बाद (कांचीनाथ झा ‘किरण’क कविता-संग्रह) -1989ई.
(4) मैथिली कथा संचयन ( नेशनल बुक ट्रस्ट द्वारा प्रकाशित 38 टा कथाक
संकलन) -2007 ई.
सम्मान ओ पुरस्कार–शिवशंकर श्रीनिवासकेँ
निम्नलिखित संस्था द्वारा सम्मानित कएल गेल अछि –
(1) किरण साहित्य शोध संस्थान, धर्मपुर, दरभंगा द्वारा ‘किरण साहित्य
सम्मान’-2013 ई.
(2) साहित्य संसद समस्तीपुर द्वारा ‘गौरीकान्त चौधरीकान्त शिखर सम्मान’-2015
ई.
(3) आचार्य यंत्रनाथ मिश्र साहित्य शिखर सम्मान -2017 ई.
(4) झारखण्ड साहित्य मंच, राँची द्वारा ‘गुण-कथा’ पोथी पर ‘पूर्णेंदु
विदेह साहित्य सम्मान’- 2019 ई.
(5) सांस्कृतिक परिषद्, मधुबनी द्वारा ‘मैथिली साहित्य संस्कृति समिति
सम्मान’- 2019 ई.
(6) चेतना समिति, पटना द्वारा ‘गुण-कथा’ पोथी पर ‘डा. गणपति मिश्र
साहित्य सम्मान’-2019 ई.
(7) साहित्यिकी, सरिसब-पाही, मधुबनी द्वारा ‘साहित्यिकी सम्मान’– 2020
ई.
(8) शकुंतला-भुवनेश्वरी मैथिली-संस्कृत संवर्धन न्यास, हैदराबाद द्वारा
मैथिली भाषा-साहित्यक विकास हेतु ‘शकुंतला-भुवनेश्वरी सम्मान’ -2021ई.
(9) नव मिथिला नव मैथिली संस्था द्वारा अर्घ्य सम्मान -10.10.2022
(10) मैथिल समाज रहिका द्वारा किरण सम्मान –03.3.2023
(11) विश्वम्भर फाउंडेशन, राँची द्वारा ‘विश्वम्भर मैथिली साहित्य
सम्मान’ –08.4.2023
(12) चेतना समिति, पटना द्वारा यात्री चेतना सम्मान -2023
शिवशंकर श्रीनिवास एवं हुनक परिवारक फोटो सभ-
फोटो-1 शिवशंकरजी अपन युवावस्थामे, फोटो-2 शिवशंकरजी अपन पत्नीक संग।
फोटो-3 लेखिका मीना मधु, फोटो-4 शिवशंकरजी अपन बच्चाक संग।
फोटो-5 शिवशंकरजीक संतान, फोटो-6 लेखिका मीना मधु
फोटो-7 एवं 8 पारिवारिक छवि सभ
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।