← विदेह ई-लर्निङ्ग हब पर वापस जाउ
अध्याय २ : अध्ययनक साधन (स्रोत)
🕉️ नमस्कार! ई क्विज़ «मिथिलाक इतिहास» के दोसर अध्याय (अध्ययनक साधन) पर आधारित अछि। वैदिक साहित्य, बौद्ध-जैन ग्रंथ, पुरातात्विक अवशेष, विदेशी यात्री आ ताम्रपत्र सभक सम्बन्ध मे प्रश्न पूछल गेल अछि। सही विकल्प चुनू आ आपन ज्ञान परखू।
१. प्राचीन मिथिलाक इतिहासक अध्ययनक हेतु सबसँ प्राचीनतम स्त्रोत के छल ?
२. शतपथ ब्राह्मण, ऐतरेय ब्राह्मण, पंचविंश ब्राह्मण आदि साहित्य के काल खास कए मिथिलाक के विवरण लेल उपयोगी अछि ?
३. बौद्ध साहित्य मे ‘वृज्जीसंघ’ आ विदेहक सम्बन्ध मे जानकारी केक ग्रंथ सँ भेटैछ ?
४. जैन साहित्य मे मिथिलाक विशेष वर्णन केक-केक ग्रंथ मे भेटैछ ?
५. चीनी यात्री जे ६३५ ई. मे मिथिला आएल छलाह आ वैशालीक वैभवक वर्णन केने छथि, हुनका नाम छल ?
६. ‘धर्मस्वामी’ नामक तिब्बती यात्री मिथिला कहिया आएल छलाह ?
७. धर्मस्वामी केक राजाक समय मिथिला आएल छलाह, जे ओकरा राजपुरोहित बनबाक आग्रह केलन्हि ?
८. मिथिलाक इतिहासक हेतु एकटा अति महत्वपूर्ण फारसी स्रोत ‘वसातिनुलउंस’ (Wasaatinul Uns) के लेखक छलाह ?
९. गुप्तकालीन प्रशासनिक अभिलेख मे ‘तीरभुक्ति’ (तिरहुत) कहल गेल अछि। गुप्त युग मे एहि प्रांतक राज्यपाल (उपरिक) के रहल छलाह ? (उदाहरणार्थ)
१०. मिथिलाक सबसँ पैघ प्राचीन ताम्रपत्र अभिलेख जे विग्रहपाल तृतीयक अछि, कतए सँ प्राप्त भेल छल ?
११. ‘हौद्रेय’ विषय (जे विग्रहपाल तृतीयक अभिलेख मे उल्लिखित अछि) केर आधुनिक नाम की अछि ?
१२. मिथिलाक इतिहासक हेतु अत्यंत उपादेय ‘पंचोभ ताम्रलेख’ के शासकक नाम अछि ?
१३. मिथिलाक ‘पञ्जी प्रथा’ (वंशावली) के आरम्भक सम्बन्ध मे कहल जाइत अछि जे एकर श्रेय कर्णाट वंशीय केक राजा के अछि ?
१४. मिथिला क्षेत्र मे पालकालीन अभिलेख सभ मे कोन-कोन विषय (प्रशासनिक इकाई) के उल्लेख भेटैछ ?
१५. मिथिलाक अध्ययनक हेतु ‘मुल्ला तकियाक वयाज’ (यात्रा विवरण) के उल्लेखीय अछि। ई ग्रंथ मुख्य रूप सँ केक शासनकाल के सूचना दैछ ?