उमेश मण्डल
१०५ म् ‘सगर राति दीप जरय’ कथा चेतना रैली
उद्धघाटनकर्त्ता : प्रो. डॉ. शशिनाथ झा (कुलपति, कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय-दरभंगा)
उद्धघाटन समय : संध्या 6 : 30 बजे
तिथि : 13 फरवरी 2021
कार्यक्रमक अन्तराल- संध्या 6 : 30 बजे से सॉंझसँ 6 : 00 बजे भिनसर धरि
स्थान : सीतायन सभागार, 3 जी.एम. रोड, दरभंगा
संयोजक : श्री कमलेश झा
अध्यक्ष- डॉ. भीमनाथ झा (उद्घाटन एवं पोथी लोकार्पण सत्र), डॉ. शिव कुमार प्रसाद एवं श्री जगदीश प्रसाद मण्डल (कथा सत्र)
मंच संचालन- श्री कमलेश झा (उद्घाटन सत्र), श्री उमेश मण्डल (पोथी लोकार्पण सत्र), श्री नन्द विलास राय एवं श्री राधाकान्त मण्डल (कथा सत्र)
स्वागत भाषण- प्रो. डॉ. विद्यानाथ झा
दू शब्द- डॉ. योगानन्द झा, श्री शैलैन्द्र आनन्द, डॉ. शिव कुमार प्रसाद
मिडिया प्रभारी : श्री गौतम झा
ऐ कथा गोष्ठीमे लगभग देढ़ दर्जन नूतन कथा (कहानी)क पाठ (वाचन) एवम् समालोचक द्वारा समालोचना
कथा पाठ-
1. अनाथ : श्रीमती लक्ष्मी सिंह ठाकुर (दरभंगा)
2. दरभंगासँ दिल्लीक यात्रा : श्रीमती स्वर्णिम किरण (दरभंगा)
3. धनेसरी : श्री श्याम भास्कर (दरभंगा)
4. भोंटक बधिया : प्रो. प्रीतम निषाद (मुरहद्दी, बाबूबरही)
5. जन आन्दोलन : श्री कपिलेश्वर राउत (बेरमा, झंझारपुर)
6. फकड़ावाली बुढ़िया : श्री अमित मिश्र (करियन, समस्तीपुर)
7. सभ केलहा फुसि : श्री राम विलास साहु (लक्ष्मीनिया, मधुबनी)
8. अट्ठाबज्जर : श्री राम विलास साहु (लक्ष्मीनिया, मधुबनी)
9. सम्प्रदायिक सद्भाव : श्री नारायण यादव (जयनगर)
10. बेचन काकाकेँ चिन्हब : श्री उमेश मण्डल- (निर्मली, सुपौल)
11. कलहक जड़ि : श्री शारदानन्द सिंह (बलथरी, दरभंगा)
12. दूटा भॉंटा गाछ : श्री शारदानन्द सिंह (बलथरी, दरभंगा)
13. दशार्णवक अंश : श्री उमेश नारायण कर्ण ‘कल्पकवि’- (इसहपुर, सरिसवपाही)
14. अनजान दोस : श्री राधाकान्त मण्डल- (धबौली, लौकही)
15. प्रायश्चित : श्री नन्द विलास राय- भपटियाही (घोघरडीहा, मधुबनी)
16. सभसँ पैघ सॉंच : श्री नन्द विलास राय- भपटियाही (घोघरडीहा, मधुबनी)
17. संकल्प : श्री जगदीश प्रसाद मण्डल- (बेरमा, झंझारपुर)
समीक्षा-
डॉ. शिवकुमार प्रसाद
श्री अरविन्द प्रसाद
श्री लालदेव कामत
श्री प्रदीप पुष्प
राधाकान्त मण्डल
श्री जगदीश प्रसाद मण्डल
श्री कमलेश झा
प्रो. प्रीतम निषाद
श्री राम विलास साहु
श्री कपिलेश्वर राउत
श्री चन्द आचार्य
पं. बाल गोविन्द आर्य
श्री नारायण यादव
पुस्तक_लोकार्पण_एवम्_वितरण
1. कृषियोग (कथा संग्रह) ले. जगदीश प्रसाद मण्डल, लो. श्री शैलैन्द्र आनन्द (निविष्ट कथाकार, नाटककार एवं कवि)
2. हारल चेहरा जीतल रूप (कथा संग्रह) ले. जगदीश प्रसाद मण्डल, लो. प्रो. उषा चौधरी (एम.एल.एस.एम. कौलेज, दरभंगा)
3. रहै जोकर परिवार (कथा संग्रह) ले. जगदीश प्रसाद मण्डल, लो. प्रो. शशिनाथ झा (कुलपति, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगा)
4. कर्ताक रंग कर्मक संग (कथा संग्रह) ले. जगदीश प्रसाद मण्डल, लो. डॉ. योगानन्द झा (मैथिली लोक साहित्यक अध्येता)
5. गामक सूरत बदैल गेल (कथा संग्रह) ले. जगदीश प्रसाद मण्डल, लो. श्री अरविन्द प्रसाद (प्रधान सचिव, मधुबनी ज़िला प्रगतिशील लेखक संघ)
6. अन्तिम परीक्षा (कथा संग्रह) ले. जगदीश प्रसाद मण्डल, लो. डॉ. शिव कुमार प्रसाद (हिन्दी साहित्यक वरेण्य विद्वान एवं मैथिली साहित्यक वहुआयामी रचनाकार)
7. घरक खर्च (कथा संग्रह) ले. जगदीश प्रसाद मण्डल, लो. प्रो. डॉ. विद्यानाथ झा (प्राचार्य, एम.एल.एस.एम. कौलेज, दरभंगा)
8. सरस्वती पूजाक परसाद (कथा संग्रह) ले. नन्द विलास राय, लो. डॉ. भीमनाथ झा (आधुनिक मैथिली साहित्यक मर्मज्ञ विद्वान)
9. वर्ण प्रकरण भाष्य भूमिका (व्याकरण, भाग- 1) ले. बाल गोविन्द आर्य उर्फ बाल गोविन्द यादव, लो. प्रो. शशिनाथ झा (कुलपति, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय दरभंगा)
10. भाव पुष्पांजलि (काव्य संग्रह) ले. सीताराम मिश्र, लो. प्रो. डॉ. विद्यानाथ झा (प्राचार्य एम.एल.एस.एम. कौलेज, दरभंगा)
11. मोनक देहरिपर (गजल संग्रह) ले. प्रदीप पुष्प, लो. डॉ. उदयचन्द झा ‘विनोद’ (लब्धप्रतिष्ठ कवि)
12. देवाश्रम- 5 (पाम्फलेट संकलन) सं. उमेश मण्डल, लो. डॉ. भीमनाथ झा (आधुनिक मैथिली साहित्यक मर्मज्ञ विद्वान)
13. देवाश्रम- 6 (पाम्फलेट संकलन) सं. उमेश मण्डल, लो. श्री जगदीश प्रसाद मण्डल (आधुनिक मैथिली साहित्यक अनन्य स्तम्भ)
धन्यवाद ज्ञापन-
श्री कमलेश झा
१०६म आयोजन : ग्राम- हटनी, नौआबाखर (मधुबनी), मई 2021 मे होएत
भावी संयोजक : श्री लालदेव कामत
अपन मंतव्य editorial।staff।videha@gmail।com पर पठाउ।
३. पद्य
३.१.सुभाष कुमार कामत-जनगणनामे
३.२.आशीष अनचिन्हार- गजल
सुभाष कुमार कामत
जनगणना मे
रहूँ देशक कोनो कोण मे
बस मैथिली याद राखब मोन मे
मैथिली छी हमर मातृभाषा
सदखिन धियापुताक संग बाजू
गर्व सँ कैरि चाकर सीना
कनियो नै एंठेबै
वरना बड़का
जूलूम भऽ जाएत
जनगणना मे
एकटा प्रश्न पूछत
की थीक अहाँक मातृभाषा ?
झट सँ अहाँ कहब
मैथिली हमर मातृभाषा
शान सँ बाजू मैथिली
जुनि बिसरब मातृभाषा ।
©सुभाष कुमार कामत
नौआबाखर, घोघरडीहा
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।
आशीष अनचिन्हार
गजल
बाजै घंटी सोभै आसन
ऊधो पापी लगबै चानन
किम्हर किम्हर भागल घूरत
रामा ताकै देशक शासन
धन्ना सेठक दुन्ना तागति
कबिरा जनता ताकै राशन
गहुमन शोभित मंचक आगू
राधे भाषण देलक धामन
देहक सुविधा मोनक दुविधा
माधव बूझू सजनी साजन
सभ पाँतिमे 22-22-22-22 मात्राक्रम अछि। ई बहरे मीर अछि। सुझाव सादर आमंत्रित अछि।