एहिठाम प्रस्तुत अछि रमानन्द झा 'रमण'जी केर संक्षिप्त परिचय। हिनक मुख्य रुचि छनि- मैथिली साहित्य ।
एहि परिचयमे देल गेल सूची पुरान मानकपर अछि मने पुरान सूचनासँ शुरू भऽ ओकर अंतमे नव-नव सूचना जोड़ैत जाएब। जखन कि शोधपत्र, शोध आलेख सभमे अंतर्राष्ट्रिय मानक देल जाइत छै मने एकदम नव सूचनासँ शुरू भऽ कऽ अंतमे पुरान सूचना। मुदा विदेह अपन पाठककेँ ध्यानमे रखैत पुरान मानकक प्रयोग करैत अछि। विदेहक पाठक सामान्य वर्गक रहैत अछि, शोधक फार्मेटसँ बेसी हुनका सूचनाक ताक रहैत छनि। हमरा जनैत पुरना मानकक एकटा ईहो फायदा छै जे सूची देखबामे कम्म समय लागत कारण ओकर प्रयोग बहुत दिनसँ होइत रहल छै आ ई मानव-मस्तिष्कमे रचल-बसल छै। तँइ सुविधाजनक छै।
चित्र- 1 नाम: रमानन्द झा 'रमण' जन्म तिथि: 02 जनवरी, 1949 पिता: स्व. परमानन्द झा जन्म स्थान: ग्राम- ग्राम-लालगंज, पो. लोहना, भाया-सरिसब-पाही, मधुबनी, पिन - 847424
वर्तमान निवास: फ्लैट नं. 24, झेलम अपार्टमेंट, पाटलिपुत्र पथ, राजेन्द्र नगर, पटना, बिहार - 800016 शिक्षा: एम.ए. (हिन्दी), पीएच.डी. (मैथिली) - "मैथिली नऽव कविताक विश्लेषणात्मक अध्ययन", पटना विश्वविद्यालय, 1982
वृत्ति: भारतीय रिजर्व बैंक (RBI) में अधिकारी (जनवरी 2009 में सेवानिवृत्त)
सेमिनार एवं कार्यशाला:
• साहित्य अकादेमी (New Delhi) द्वारा आयोजित साहित्यिक अनुवादक राष्ट्रीय कार्यशाला (1991-92)
• Bonds Beyond the Borders (भारत-नेपाल नागरिक समाज संवाद, 2006)
• Resource Person: मैथिली गहन पाठ्यक्रम (CIIL, भुवनेश्वर)
• मैथिली भाषा विशेषज्ञ (National Translation Mission, Mysore)
• छठम अंतर्राष्ट्रीय मैथिली नाट्य महोत्सव (विराटनगर, नेपाल, 1992) मे जूरी सदस्य
प्रकाशित पोथी:
A. प्रकाशन (Publications)- मौलिक लेखन (आलोचना/Criticism) 1. नवीन मैथिली कविता (1982) 2. मैथिली नऽव कविता (1993) 3. मैथिली साहित्य ओ राजनीति (1994) 4. अखियासल (1995) 5. बेसाहल (2003) 6. भजारल (2005) 7. हिआओल (2012) 8. लक्ष्मीपति सिंह (विनिबन्ध, 2012) 9. चितिर-बितिर (2014) 10. बेराएल (2018) 11. अनुसन्धान-प्रतिमान (2018) 12. मार्कण्डेय प्रवासी (विनिबन्ध, 2022) 13. बीज-भाषण (2022) 14. विवर्त (2023) 15. नगेन्द्र कुमार (विनिबन्ध, 2025) B. प्रकाशन (Publications)- व्यावसायिक (हिन्दी): 1. "निर्यात कैसे शुरू करें? (How to Start Export)", भारतीय रिजर्व बैंक (1999) C. प्रकाशन (Publications)- सम्पादित कृति (Edited Works) 1. मैथिलीक आरम्भिक कथा (1978) 2. श्यामानन्द रचनावली (1982) 3. निर्दयी सासु (1914) एवं पुनर्विवाह (1925) (1984) 4. चेतनाथ झाकृत श्रीजगन्नाथपुरी यात्रा (1910) (1994) 5. तेजनाथ झाकृत सुरराज विजयनाटक (1994) 6. रासबिहारी लाल दासकृत सुमति (1918) (1996) 7. जीबछ मिश्रकृत रामेश्वर (1916) (1996) 8. पण्डित गोविन्द झा अर्चा ओ चर्चा (Felicitation Volume, 1997) 9. भेंटघांट (1998) 10. रूचय तँ सत्य ने तँ फूसि (Sarcasm, 1998) 11. मणिपद्मक कनकी (2003) 12. पुण्यानन्द झाकृत मिथिला दर्पण (1925) (2001) 13. उग्रानन्दकृत शिवगंगा (कथासंग्रह, 2002) 14. यदुवर (1888-1935) रचनावली (2003) 15. मैथिली उपन्यासमे चित्रित समाज (2003) 16. विद्यापति विवरण (A Facsimile Edition of Shriballabh Jha, 2005) 17. कवीश्वर चेतना (2008) 18. मैथिलीक आरम्भिक यात्रा-साहित्य (2009) 19. ग्रिअर्सनकृत गीत दीनाभद्री ओ गीत नेबारक (अनुवाद पं. श्रीगोविन्द झा, 2010) 20. ग्रिअर्सनकृत मैथिली व्याकरण (अनुवाद पं. श्रीगोविन्द झा, 2011) 21. लक्ष्मीपति सिंह रचना संचयन (साहित्य अकादेमी, 2012) 22. चन्द्रग्रहण (काञ्चीनाथ झा 'किरण', 2012) 23. मिथिलाक विदुषी महिला (अरुन्धती देवी, 2013) 24. अगिलेसुआ (कथा संग्रह, 2014) 25. मणिपद्म-चेतना (2013) 26. मैथिली लोकसाहित्य एवं लोक संस्कृति (2014) 27. मैथिली कथा नेपाल (कथा संग्रह, 2014) 28. लिली रेक रंगीन परदा (2014) 29. लिली रेक लाली गुराँस (2014) 30. लिली रेक विशाखन (2015) 31. लिली रेक नीक लोक (2015) 32. लिली रेक पटाक्षेप (2015) 33. लिली रेक उपसंहार एवं एकटा बड्ड पुरान गप्प (2015) 34. लिली रेक 'समयकें धडैत' (आत्मकथा, 2015) 35. जीबछ मिश्र रचनावली (2016) 36. आब की कविता करब हम? - महावीर झा 'वीर' (2016) 37. मैथिली कथा भाषा एवं शिल्प (2016) 38. तेजनाथ रचनावली (2017) 39. विद्यापति-चेतना (2017) 40. महाकवि लालदास: समय ओ रचना (2017) 41. मधुप-चेतना (2018) 42. लक्ष्मीपति सिंहकृत हिन्दी-मैथिली शिक्षक (2018) 43. हरिश्चन्द्रनृत्यं (1651, मल्लकालीन मैथिली नाटक, 2019) 44. आधुनिक मैथिली नाटक संचयन (साहित्य अकादेमी, 2019) 45. महाकवि लालदास रचनावली, गद्यखण्ड (2019) 46. मैथिली कथाक धाप (2020) 47. लिली रेक प्रतिनिधि कथा (2021) 48. लिली रे: व्यक्ति ओ रचना (2023) 49. राजा टंकनाथ चौधुरी श्रद्धांजलि (2024) 50. महाकवि लालदास रचनावली, खण्ड-2 (2024) 51. सरोज रचनावली (प्रेसमे) D. प्रकाशन (Publications)- अनुवाद (Translation) 1. मौलियरक दू नाटक (साहित्य अकादेमी, 1991) 2. छओ बिगहा आठ कट्ठा (फकीर मोहन सेनापति, साहित्य अकादेमी, 1999) 3. सार्वभौम मानवाधिकार घोषणा (Universal Declaration of Human Rights - Unicode) 4. टाकाक गाछ (भारतीय रिजर्व बैंक) 5. लखपति जी लुटेलाह (भारतीय रिजर्व बैंक) 6. BE(A)WARE: वित्तीय ठकपनीक तरीकापर एक पुस्तिका (RBI, 2023)
पत्र-पत्रिका सम्पादन
1. कोषाक्षर (1982): भारतीय रिजर्व बैंक कर्मीक हिन्दी त्रैमासिक
2. प्रयोजन (1993-94): मैथिली मासिक
3. कथा-दिशा: मैथिली कथा मासिक (सम्पादक मंडल सदस्य)
4. घर-बाहर: मैथिली त्रैमासिक, चेतना समिति (सम्पादक)
सम्मान ओ पुरस्कार– रमानन्द झा 'रमण'केँ निम्नलिखित संस्था द्वारा सम्मानित कएल गेल अछि:
पुरस्कार एवं सम्मान
1. जॉर्ज अब्राहम ग्रिअर्सन पुरस्कार (1994-95): 'मैथिली नऽव कविता' पुस्तक लेल (राजभाषा विभाग, बिहार सरकार)
2. भाषा-भारती सम्मान (2004-05): 'छओ बिगहा आठ कट्ठा' लेल (CIIL, Mysore)
3. किरण पुरस्कार (2011): रहिका समाज, मधुबनी
4. साहित्यिकी सम्मान: सरिसब-पाही, मधुबनी
5. यात्री चेतना पुरस्कार (2024): चेतना समिति, पटना