VIDEHA ISSN 2229-547X · First Maithili Fortnightly eJournal · Since 2000 · www.videha.co.in
विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह — प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

VIDEHA · प्रथम मैथिली पाक्षिक eJournal

भगवान भरोसे

प्रणव कुमार झा · Videha अंक ४५२ · 15 October 2026

प्रणव कुमार झा

प्रणव कुमार झा

भगवान भरोसे

लोकतन्त्र भगवान भरोसे

भोटतंत्र भगवान भरोसे ।

मार्केट खसैत रुपया गुरकैत

अर्थतन्त्र भगवान भरोसे ।

महंगाई अछि कमर तोड़ने

दालि रोटी भगवान भरोसे ।

रोज रोज स्कूल बंद होई

शिक्षा अछि भगवान भरोसे ।

डिग्री के दोकान फुजल छैक

स्किल अछि भगवान भरोसे ।

युवा रोजगार ताकि रहल अछि

ब्याह-दान भगवान भरोसे ।

कर उगाही झोरा के झोरा

डिलिवरी भगवान भरोसे ।

नव-नव रोड धसै अछि डेली

आन-जान भगवान भरोसे।

जंगल-पहाड़ सुड्डाह भऽ रहल

पर्यावरण भगवान भरोसे।

शाख शाख पर उल्लू बैसल

संस्था सभ भगवान भरोसे ।

प्रश्न पुछब आब देशद्रोह भेल

नचिकेता भगवान भरोसे ।

मारि-पीट आ गूंहा गंजन

प्रेम-भाव भगवान भरोसे ।

सगरो पसरल नारी तर्जन

बेटी बचाउ भगवान भरोसे ।

बल-छल आगाँ सत्य निरुत्तर

फैक्ट सेहो भगवान भरोसे।

न्यायालय बस ज्ञान बांटय य

न्याय भेंटय भगवान भरोसे।

मंदिर मे होई चन्दा चोरी

भगवानों भगवान भरोसे ।

-प्रणव कुमार झा, ग्राम गोरापुर जिला बेगूसराय | संप्रति: एनबीईएमएस, नई दिल्ली

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।