VIDEHA ISSN 2229-547X · First Maithili Fortnightly eJournal · Since 2000 · www.videha.co.in
विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह — प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

फूइल के तुम्मा (हास्य कविता)

डा. किशन कारीगर · Videha अंक ४५३ · 01 November 2026

डा. किशन कारीगर

फूइल के तुम्मा (हास्य कविता)

हमरा अकादमी पुरस्कार भेटी गेल

हे हमरा संजोजक बना देल गेल

आब त हम फूफकारे चूर भेल रहब

हे देखियौ त हम फूइल के तुम्मा।

हमरा सन आब वरिष्ट मैथिली साहित्यकार के?

लगबै छी सब ठाम हम जोगार हे

हम त तिकरम क केकरो दाऊ ने सुतरअ देबै

गिरोह बले लगले फूइल के तुम्मा

साहित्य आ मैथिली अकादमी मे हमरे चलति

युवा अनुवाद मूल पुरस्कार के लकरपेंच त हमरे रहत

मैथिली साहित्य मे हमरा सन तेसर के बुझक्कर?

गौरवे आन्हर हम फूइल के तुम्मा।

मानकि दललपनी त करबे करै छि

हे साहित्यक चलकपनी सेहो त हेबाके चाही

लगले आयोजनी सुजोग त आब की?

अपने गिरोहक लोक टा के बजेबै देखू फूइल के तुम्मा?

हम मैथिली साहित्यक ठीकेदार बनल रहब

शुद्ध अशुद्ध मैथिली के मानकी खेल मे

हम पुरस्कारी दाउ भजा लेब की?

के रोकत के टोकत हे हम फूइल के तुम्मा?

हम संजोजक आयोजक बनि मनमाना टा करब

गिरोहक कृपा होऊ त कते आडम्बर ने धरब

पेटपोसुआ दाउ त सुतारबे टा करब

लगले महकवि बनि हे हम फूइल के तुम्मा?

झूठो डंक्का जे मैथिली साहित्य सभक छियै?

असल मे हमरे टा बपौती बनल रहक चाही

जाति देख सब टा पुरस्कार सम्मान देबै?

त करू होहकारा हे देखियौ हम फूइल के तुम्मा?

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।

Translate with AI (ए.आइ. द्वारा अनुवाद करू) · सहायक तकनीक · Assistive Tech