मुख्य सामग्रीपर जाउ · Skip to main content
VIDEHA ISSN 2229-547X  ·  First Maithili Fortnightly eJournal  ·  Since 2000  ·  www.videha.co.in
विदेह — प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका
Twitter / X Facebook Archive
विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका

विदेह नूतन अंक
विदेह ई पत्रिकाक नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू: [Windows / Linux: Ctrl + F5 / Ctrl + Shift + R  ·  macOS: Command (Cmd) + Option + E + F5 / hold Shift + Click the Refresh button]

अशोक कुमार ठाकुर

बिहारक बाढ़िक पुकार

नेपाल दिससँ बरखा बरसल,
नदिया भेल विकराल।
गंडकक धार बढ़ैत गेल,
मचल गेल हाहाकार॥

वाल्मीकिनगर, बगहा दिस,
पानिक भेल प्रहार।
टूटल बाँधक धारसँ बहि,
डूबल गाम हाट-बजार॥

ककरो आँगन, ककरो खेत,
ककरो सपना बहि गेल।
मायक कोरामे बच्चा काँपय,
नयनक नोर बहि गेल॥

कोसी गरजल, कमला उमड़ल,
बलान भेल बेहाल।
उत्तर बिहारक धरती पूछय—
कखन थमत ई ज्वाल?

मुजफ्फरपुर दिस बढ़ैत पानि,
चहुँदिस हाहाकार।
लखीसराय, भागलपुर दिस,
मड़राय संकट-भार॥

जँ नदी सभ एक संग उमड़ल,
बढ़ि सकैत जलधार।
पूरब-पच्छिम, उत्तर-दक्खिन,
डगमग होय बिहार॥

नहि केवल घर-आँगन डूबय,
डूबय लोकक आस।
रोटी, छप्पर, खेत-बधारक,
टूटि रहल विश्वास॥

एहन घड़ीमे हाथ बढ़ाबी,
दुखियाक बनू सहारा।
बाढ़ि बहुत किछु लऽ जायत,
हिम्मत नहि हारय लोकक मन प्यारा॥

हे शासन आ हे समाज,
दुखियाक पुकार सुनू।
फँसल लोकक हाथ पकड़ि कऽ,
राहत शीघ्र पहुँचाउ॥

पाईन घटत, फेर धूप खिलत,
फेर हरियर होयत खेत।
बिहारक माटि फेर मुस्कायत,
फेर सजत जीवनक रीत॥
-अशोक कुमार ठाकुर; ग्राम–करमौली, पोस्ट–करमौली,थाना–खजौली, जिला–मधुबनी (बिहार)मोबाइल नंबर:-8709568993,जनसेवा:-एस.डी.आर.एफ,मे कार्यरत सिपाही।

अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।

साहित्य अकादेमीक संकीर्ण मैथिली भाषा विभागसँ विदेह (मैथिली साहित्यक समानान्तर मंच) ऐ अर्थमे सेहो फराक अछि जे विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिका सन सहभाषाकेँ संग लऽ कऽ मिथिलाक बोली-वैविध्यक समग्र चित्र देल जाइत अछि। विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाक भाषा विज्ञान, रचना आ व्याकरण मैथिलीक संग देल गेल अछि मैथिलीक एकटा समानान्तर व्याकरण, रचना आ भाषा विज्ञान (ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाकेँ संग लऽ कऽ)- गजेन्द्र ठाकुर, संगे विदेहमे ठेठी, अंगिका आ बज्जिकाक साहित्य ई-प्रकाशित आ समीक्षित सेहो होइत अछि।– गजेन्द्र ठाकुर, सम्पादक, विदेह ISSN 2229-547X
⇧
नव विदेह अंक — मासमे दू बेर · New Videha Issue — twice monthly  ·  ई-पत्र सदस्यता · Email subscription  ·  RSS feed  ·  DOI · Zenodo · Scholarly Preservation