वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly e Magazine विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू।
प्रीति प्रभा
अप्पन मिथिलाधाम
पवित्र पावन अछि हम्मर धाम
जे नही देखलहूं देख लिय चलू मिथिलाधाम।
शगुण के सब किछ ओतय भेटत।लाल पाग संग
माछ, पान आ सौम्य मखान
अई स घिरल अछि अप्पन धाम
जे नहि देखलहूं देख लिय चलूं मिथिलाधाम।
माँ वैदेही के परल चरण अतए
श्रीराम नरेश भेलैथ कुटुम्ब एतय
मीठगर वाणी सअ भेटत सम्मान
खोईछा भरी पाबि लिय मान सम्मान।
उगना महादेवक साक्षात दर्शन लिय
अंगना दलान पर उदित भास्कर के संग लिय चाहक मजा
चाँनी सन माछ के दर्शन महान
जे नही देखलहूं देख लिय चलू मिथिलाधाम।
मधुबनीक पेंटिग के मास्कक भेल गुणगान
आब नई कोई दिक्कत
राह भ गेल आसान
उड़ी उड़ी पहुँचु हम्मर धाम
प्रीति के कलम स देख लिय चलू मिथिलाधाम।
-प्रीति प्रभा, जमशेदपूर।
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@gmail.com पर पठाउ।