वि दे ह विदेह Videha বিদেহ http://www.videha.co.in विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका Videha Ist Maithili Fortnightly ejournal विदेह प्रथम मैथिली पाक्षिक ई पत्रिका नव अंक देखबाक लेल पृष्ठ सभकेँ रिफ्रेश कए देखू। Always refresh the pages for viewing new issue of VIDEHA.

रबीन्द्र नारायण मिश्र
संवाद
हम सही छी,
अहाँ गलत छी
बस एतबे बातपर
हमसभ भिड़ल छी।
ईहो तँ
संभव छै,
हम सही होइ,
आ अहूँ सही छी,
मुदा, एक-दोसरकेँ
बुझि नहि रहल छी।
किएक तँ
आपसमे
संवाद नहि अछि,
केओ सुनबाक हेतु
तैयार नहि अछि
अपने बात
टा
बकने जा रहल अछि
संवादहीनतासँ
घर-घर अविश्वास
पसरल जा रहल अछि
भैयारीमे
शत्रुता
बढ़ल जा रहल अछि
आपसमे
गप्प-सप्प
अतिसय जरूरी अछि,
एक-दोसरक हालति
बुझनाइ जरूरी अछि।
सोचिऔओकरो
किछु मजबूरी अछि
ई सभ जनै छै
जे
संसारमे किछु
असालतन नहि छै
खाली हाथ
अबैत अछि
खालीए चलि जाइत अछि
नीक-बेजाए काज टा
बाँचल रहि जाइत अछि
चाहै छी जीवनमे
यदि सुख-शांति तँ
संवाद आपसमे
बेहद जरूरी अछि।
-[रबीन्द्र नारायण मिश्र, २२।३।२०२४]; mishrarn@gmail.com
अपन मंतव्य editorial.staff.videha@zohomail.in पर पठाउ।